Jump to content

नेतृत्व विकास कार्यदल

From Meta, a Wikimedia project coordination wiki
This page is a translated version of the page Leadership Development Working Group and the translation is 100% complete.

१. छोट सारांश

विकिमिडिया फाउन्डेशन केरऽ समुदाय विकास टीम न॑ वैश्विक, समुदाय-संचालित नेतृत्व विकास कार्यदल केरऽ निर्माण म॑ सहायता करै के प्रस्ताव रखन॑ छै । कार्यदल के उद्देश्य सामुदायिक विकास टीम के नेतृत्व विकास कार्य के साथ-साथ निकट भविष्य मे व्यापक सामुदायिक पहलक मे सलाह देनाय छै, जखन कि वर्तमान मे गठन भ रहल आन्दोलन चार्टर आ वैश्विक परिषद सं आबै वाला कोनो भविष्य मे दिशा परिवर्तन के लंबित छै। मई २०२२ के अनुसार ई समूह के गठन करी क॑ अपनऽ काम शुरू करी देलकै । सदस्यऽ के बारे म॑ पढ़ै लेली कार्य समूह पन्ना, हुनकऽ चर्चा के अनुसरण करै लेली अपडेट पन्ना, आरू भागीदारी पन्ना देखै आरू ई जानय लेली कि आपने कोना शामिल होय सकै छियै ।

२. जेते नमहर सारांश

आन्दोलन रणनीति के बातचीत स॑ नेतृत्व विकास क॑ आन्दोलन के प्राथमिकता के रूप म॑ पहचानलऽ गेलै । कौशल आर नेतृत्व विकास म॑ निवेश करै के सिफारिस संकेत करै छै कि हमरऽ आन्दोलन क॑ नेतृत्व विकास म॑ सफल होय लेली वैश्विक स्तर प॑ समन्वित आर अच्छा संसाधन वाला प्रयास के जरूरत छै । नेतृत्व विकास केरऽ कार्यान्वयन लेली बहुत विचार छै , जेकरा म॑ बुनियादी ढाँचा के जरूरत भी व्यक्त करलऽ गेलऽ छै ।

जखन कि वैश्विक परिषद् द्वारा एहि मुद्दा सभक दीर्घकालिक दृष्टिकोण परिभाषित कयल जा सकैत अछि, सामुदायिक विकास टीमक काज आ सामुदायिक समूहक काज केँ एहि मे सँ किछु प्रमुख बुनियादी ढांचागत पहल सँ लाभ होयत, जाहि मे निम्नलिखित केर निर्माण शामिल अछि:[1]

  1. एकटा समुदाय संचालित कार्य समूह जे नेतृत्व विकास पहलक के परिभाषित करय, प्राथमिकता देनाय, देखरेख करय आ मूल्यांकन करय मे सहायता कयर सकय छै
  2. नेतृत्व के एक साझा परिभाषा
  3. एकटा नेतृत्व विकास योजना

सामुदायिक विकास टीम एकटा वैश्विक, समुदाय संचालित नेतृत्व विकास कार्यदल (#१) के निर्माण मे समर्थन करय के प्रस्ताव रखयत छै। कार्यदल के उद्देश्य सामुदायिक विकास टीम के नेतृत्व विकास कार्य के सलाह देनाय के साथ-साथ सामुदायिक नेतृत्व पहलक के लेल विचार आ सिफारिस के साझा करनाय छै। ई बेशक वर्तमान म॑ बनलऽ मूवमेन्ट चार्टर आरू ग्लोबल काउन्सिल स॑ आबै वाला कोनो भी दिशा परिवर्तन के लंबित छै । कार्यदल पहिले बुनियादी ढाँचा निर्माण पर ध्यान केन्द्रित करतय, जेकरा मे समुदायक के साथ नेतृत्व के परिभाषित करनाय (#२) आ नेतृत्व विकास योजना (#३) के मसौदा तैयार करनाय शामिल छै। एकर बाद कार्यदल नेतृत्व विकास योजना के क्रियान्वयन मे सामुदायिक विकास के हिस्सा के सलाह देयत, आ स्थानीय आ वैश्विक समुदाय के प्रयास के लेल जरूरत के अनुसार एकटा मूल्यवान संसाधन के रूप मे काज करतय।

३. समय रेखा

फरवरी २०२२

७ – २५ फरवरी, २०२२ तक नेतृत्व विकास कार्यदल प्रस्ताव के बारे मे प्रतिक्रिया के लेल फोन करू। १३+ भाषा मे प्रतिक्रिया एकत्रित कयल गेल। प्रतिक्रिया के लेल कल के सारांश देखू।

मार्च – अप्रैल २०२२ कार्यदल सदस्यता भर्ती अवधि।

आवेदन करय वाला सब गोटे के धन्यवाद! नेतृत्व विकास कार्यदल के सदस्य बनय के आवेदन अप्रैल १०, २०२२ के बन्द भ गेल छल। ई आवेदन एकटा थर्ड पार्टी सेवा गूगल के माध्यम सं चलाओल गेल छल, जे एकरा अतिरिक्त शर्त के अधीन क सकैत अछि। गोपनीयता आ डाटा-हैंडलिंग के बारे मे बेसि जानकारी के लेल, गोपनीयता कथन देखू।

मई – जून २०२२ कार्यदल के घोषणा भऽ जायत अछि आ काज शुरू भऽ जायत अछि। ई समूह पहिल बेर जून २, २०२२ कए बैसल छल आ साप्ताहिक बैसार करबाक योजना अछि। कार्यदल के सदस्य के अहाँ देख सकय छी।

समूह समुदाय के इनपुट एकत्रित करतय ताकि इ सुनिश्चित कैल जा सकय कि पूरा प्रक्रिया मे विविध आवाज के ओकर डिजाइन आ निर्णय लेवा मे शामिल कैल जै। कार्यदल के काज शुरू भेला पर आओर जानकारी के घोषणा कएल जाएत। यदि अहाँ इ सुनिश्चित करय चाहय छी जे अहाँ सऽ सम्पर्क कैल गेल छै, त भविष्य के अपडेट के लेल साइन अप करू अनुभाग मे अपन नाम जोड़ू

जुलाई – अगस्त २०२२ कार्यदल नेतृत्व के परिभाषा के मसौदा तैयार करलकै आर सामुदायिक प्रतिक्रिया अवधि के तैयारी करलकै । विकिमेनिया २०२२ म॑ भी अपनऽ काम प्रस्तुत करलकै आर भविष्य केरऽ सम्मेलनऽ म॑ भाग लेबै के योजना बनैलकै । ग्रुप के काज के बारे मे बेसी जानकारी अपडेट पेज पर पढ़ि सकय छी।
सितम्बर – अक्टूबर २०२२ कार्यदल नेतृत्व के परिभाषा के मसौदा प्रकाशित करलकै आर प्रतिक्रिया आमन्त्रित करलकै । प्रतिक्रिया अवधि सितम्बर १५ – अक्टूबर ६, २०२२ छल। कार्यदल १४ भाषा मे प्रतिक्रिया लेल हाथ बढ़ेलक। प्रतिक्रिया अवधि के बारे मे जानकारी के लेल घोषणा ( मेटा-विकी ; Diff) पढ़ू।

कार्यदल अक्टूबर २२ शनि दिन १५ यूटीसी आ अक्टूबर २९ शनि दिन ८ यूटीसी पर २ सामुदायिक कल के आयोजन क रहल अछि। कोनो एकटा कल मे अटेन्ड करय लेल साइन अप करू

नवम्बर – दिसम्बर २०२२ कार्यदल न॑ नेतृत्व परिभाषा प्रतिक्रिया अवधि के सारांश प्रकाशित करलकै आर नेतृत्व परिभाषा म॑ प्रतिक्रिया क॑ शामिल करलकै । नेतृत्व केरऽ कामकाजी परिभाषा के मसौदा तैयार करै के सामूहिक प्रयास के जश्न मनाबै के साथ-साथ नेतृत्व विकास योजना के मसौदा तैयार करै के प्रारम्भिक योजना शुरू करलकै ।
जनवरी – फरवरी २०२३ कार्यदल एकटा शोध अवधि के मेजबानी करयत छै आ समुदाय के सदस्यक सं ओकर भूमिका, अनुभव आ नेतृत्व सं सम्बन्धित सीख के बारे मे जानकारी एकत्र करयत छै । ओ सब तीन दर्शक समूह के लेल तीन सर्वेक्षण बनौलनि आ समुदाय के सदस्य सब स आग्रह करैत छथि जे ओ सर्वेक्षण पूरा करथि जे हुनकर आन्दोलन के भूमिका के सबस नीक प्रतिनिधित्व करैत अछि । सर्वेक्षण जनवरी १६ – फरवरी ३, २०२३ तक खुलल अछि। आओर पढ़ू आ सर्वेक्षण तक पहुंचू!
मार्च – अप्रैल २०२३ कार्यदल शोध अवधि स॑ सामुदायिक इनपुट क॑ ध्यान मे राखैत नेतृत्व विकास योजना के मसौदा तैयार करलकै ।
मई २०२३ – नेतृत्व विकास योजना के मसौदा प्रकाशित भ गेल अछि ! नेतृत्व विकास कार्यदल (एलडीडब्ल्यूजी) मसौदा पर प्रतिक्रिया आमन्त्रित करय छै। अवलोकन के लेल सारांश पढ़ू , या ओकरा पूरा तरह सं एक्सेस करय के लेल सीधा नेतृत्व विकास योजना पर जाऊं। सर्वेक्षण, वार्ता पृष्ठ, एमएस फोरम, या ईमेल (leadershipworkinggroup@wikimedia.org) के माध्यम सं रविदिन, मई २८, २०२३ तक प्रतिक्रिया दिअ।

सन्दर्भसभ

  1. रणनीति के प्रारम्भिक मसौदाक मे सहित अइ आवश्यकता के किच्छू अभिव्यक्ति एतय देखल जा सकय छै Capacity Building R1: Building capacity for capacity building, Capacity Building R5: Resources for capacity building, East Africa Strategy Summit 2019, Leadership Development Dialogue Talk Page: Diverse forms of leadership, Community Health R3: Building the leadership of the future