Jump to content

अभियान रणनीति

From Meta, a Wikimedia project coordination wiki
This page is a translated version of the page Movement Strategy and the translation is 100% complete.


मुक्त ज्ञान केर पारिस्थितिकी तन्त्रमे हमरसभक भविष्य

विकिपिडिया सन् २००१ मे सम्पूर्ण ज्ञानक योग साझा करबाक लेल एकटा निमन्त्रणक रूपमे आरम्भ भेल छल। एखन वर्तमान समयमे विकिमिडिया दुनियाक सबसँ पैघ विश्वकोश आ विकिमिडिया कमन्स, विकिडेटा, आ अन्य जका कतेको आओर विकि परियोजना प्रदान करैत अछि।

एहि सफलताक सङ्ग सेहो विकिमीडिया केँ बहुत रास चुनौतीक सामना करय पड़ैत छैक। कम प्रतिनिधित्ववला समूहक लेल लिङ्ग अन्तर आ सहभागितामे बाधा बनल रहैत अछि। अप्पनसभक अभियानक शक्ति, संसाधन आ अवसर समान रूपसँ वितरित नहि अछि। सेन्सरसिप, निगरानी, आ ज्ञानक बढ़ि रहल व्यावसायीकरण विकिमिडियाक अस्तित्वकेँ सङ्कटमे आनि देनए अछि। तकनीकक उन्नति आ सामाजिक रुझानक कारण अप्पन सभक काज अप्रचलित भऽ सकैत अछि। मुदा, ई चुनौतीसभ आ निरन्तर बदलैत दुनिया सेहो अवसर प्रदान करैत अछि।

सभ कियो नियमित विकिमिडिया गतिविधि पर काज करैत विविध समूहक बीच रणनीति बनेनाए अव्यवस्थित आ जटिल छल। अन्ततः सामूहिक ज्ञान आ दृष्टिकोणकेँ एक साझा दृष्टि बनयबाक लेल एकत्रित कयल गेल। एहि प्रक्रियाक सफलता साबित करैत अछि जे विकिमिडियाक शक्ति एकर योगदानकर्तासभक प्रतिभा, समर्पण आ सत्यनिष्ठा अछि।

जे हमरा सभकेँ एक ठाम अनैत अछि से नहि जे हम सभ की करैत छी; इएह कारण अछि जे हम सभ ई काज करैत छी।

अभियान रणनीति केर समझनाए

आरम्भ अपनासभक रणनीतिक दिशा'सँ करी:

सन् २०३० धरि विकिमिडिया निःशुल्क ज्ञानक पारिस्थितिकी तन्त्रक आवश्यक आधारभूत संरचना बनि जाएत, आ जे कोनो हमर दृष्टिकेँ साझा करैत अछि ओ हमरा सभक सङ्ग जुड़बामे सक्षम होयत।

अपनासभ कियो सुनब, सीखब, आ परखबाक शक्तिमे विश्वास करैत छी। खुला संवादक माध्यमे सँ अपनासब मुक्त ज्ञानक दुनिया बनाए सकैत छी जे सबहक लेल काज करत। अभियान रणनीति सबहक आगू केर एकटा साझा मार्गक अगलबगल समन्वय करयमे मदति करत। ई प्रक्रिया मौलिक रूपसँ खुला, सहभागी, आ बहुभाषी होबाक चाही। अपनासभ सब गोटे केर आमन्त्रित करैत छी जे सामान्य सिद्धान्त साझा करैत एहि रणनीतिमे योगदान दियौ।

सामरिक दिशा सन् २०३० कऽ रास्तामे विकिमिडिया अभियान केर एकजुट आओर प्रेरित करै छै। दू लक्ष्य ई दिशा केर मार्गदर्शन करैत अछि:

  • सेवा केर रूपमे ज्ञान - एकटा एहन मञ्च बनी जे बहुत रास प्रारूपसभमे ज्ञान प्रदान करैत अछि आ सहयोगीसभक लेल उपकरण बनाबैत अछि।
  • ज्ञान समानता - ओ ज्ञान आ समुदायसभ पर ध्यान केन्द्रित करी जकर सत्ता आ विशेषाधिकारक संरचनासभ छोड़ि देनए होए।

ई लक्ष्य आपसमे जुड़ल अछि। एककेँ दोसरक बिना प्राप्त नहि कयल जा सकैत अछि।

रणनीतिक दिशा कार्य केर विभिन्न क्षेत्रसभक बारेमे दस अनुशंसासभ प्रेरित करैत अछि। प्रत्येक अनुशंसा ठोस पहल केर परिभाषित करैत अछि। प्रत्येक पहलमे बहुत रास गतिविधिसभ आ परियोजनासभ शामिल भऽ सकैत अछि।

अभियान रणनीति सम्पूर्ण सिफारिससभ जुड़ल अछि आ एक दोसर केर समर्थन करैत अछि। लक्ष्यक जकाँ एकरा भिन्न भिन्न केनाए सम्भव नहि अछि।

हमरासभ सँ जुड़ी

अहाँ अभियान रणनीति केर सफलताक लेल महत्वपूर्ण छी। एहिमे शामिल होयबाक बहुत रास साधन अछिः जँ अहाँक आन विचार अछि तँ हमसभ हुनका सुनय केर लेल इच्छुक छी। आबी अपनासभ गप्प करैत छियैक।