Jump to content

हबसभ

From Meta, a Wikimedia project coordination wiki
This page is a translated version of the page Hubs and the translation is 100% complete.

हबसभ

आन्दोलन रणनीतिके अनुसार, हबसभ “एक प्रकारके सहायता संरचना छै जे गतिविधियके समन्वय आ ओय समुदाय आ संगठनके जरूरतके पहचान आ वकालत करय के लेल एकटा आम स्थानके सक्षम बनायत छै जे ओ सेवा करय छै।” आइ हमरा लोकनि हब आयोजनक तीन रूप देखैत छी: क्षेत्रीय, विषयगत आ भाषाई।

सहायताके सिद्धान्तके पालन करयत , ओकरा "ओय समुदाय आ संगठनकके जरूरतके पहचान आ वकालत करयत जे ओ सेवा करएयत छै" के उभरनायके उम्मीद छै।


संसाधन

संसाधनके माध्यम सँ ब्राउज करू जत अहाँ हब दिशानिर्देश आ अन्य हब सँ सम्बन्धित जानकारी पाबि सकय छी


विकिमिडिया हब कोष

हब के लेल उपलब्ध फन्डिङ्ग के बारे मे बेसि जानी

इतिहास

जून २०१० मे विकिमिडियाक पहिल क्षेत्रीय सहयोगी आइबेरोकूप केर स्थापना भेल छल । एकरऽ बाद के सालऽ म॑ आरू कई समूहऽ के निर्माण करलऽ गेलै, जेना कि पूर्व, दक्षिण पूर्व एशिया आ प्रशान्त क्षेत्रीय सहयोग (२०१७) आ विकिमिडिया मध्य आ पूर्वी यूरोप (२०११), विकिसम्मेलन उत्तरी अमेरिका (२०१६), और अन्य।

२०१८–२० रणनीति प्रक्रिया के दौरान , क्षेत्रीय आ विषयगत केन्द्र के लेल प्रस्ताव संसाधन बाँडफाँड कार्य समूह (क्षेत्रीय हबसभ के लेल प्रारम्भिक मसौदा सिफारिशक देखी: पहिल मसौदा , दोसर मसौदा; विषयगत केन्द्रक: 1, 2), आ भूमिका आ जिम्मेदारिय कार्य समूह (पहिने "Quotiel" मोडेल के हिस्सा के रूप मे प्रस्तावित , मसौदा सिफारिस के उल्लेख छै , जे सँ प्रेरणा के उल्लेख कैल गेल छै, दूनू द्ववारा आगू राखल गेलय मौजूदा क्षेत्रीय सहयोग के)।

वकालतक्षमता निर्माण कार्य समूहसभ क्रमशः वकालत आ क्षमता निर्माण के लेल समर्पित संगठन के लेल मसौदा सिफारीस के विकास करलकय (देखू मसौदा, वकालत 1, 2, क्षमता निर्माण 1, 2); तखन एहि सभ के सम्भावित विषयगत केन्द्र उदाहरणक रूप मे एकीकृत कयल गेल। सिफारिस के तेसरऽ-पुनरावृत्ति मसौदा मे संशोधित करलऽ गेलऽ छेलै , मई २०२० मे अन्तिम संस्करण प पहुँचै सँ पहले। एकरा बाद समग्र प्रस्ताव के, बाकीँ रणनीति सिफारिस के साथ मिल के विकिमिडिया फाउन्डेसन केरऽ न्यासी मण्डल के मन्जूरी देल छेलै।

रणनीति संक्रमण के दौरान, हबसभ पर कईटा चर्चा भेल: नवम्बर, दिसम्बर, आ जनवरी मे हबसभ चर्चा पर रिपोर्ट देखी।