आन्दोलन रणनीति/पहल/कौशल विकास बुनियादी ढांचा
अहाँ एहि पृष्ठकेँ अपन भाषामे पढ़ सकैत छी आन्दोलन रणनीति फोरम पर। |
कौशल विकास बुनियादी ढांचा

कौशल आ नेतृत्व विकास मे निवेश के लेल, हमरा कौशल विकास के लेल तकनीकी बुनियादी ढाँचा मे बेसि निवेश करय के जरूरत छै। इ मौजूदा कौशल विकास मंच मे सुधार के माध्यम सं भ सकय छै, या एकदम सं नव मंच के निर्माण सं। इ कौशल विकास मंच प्रयोगकर्ता के सहयोग सं कई भाषाक मे सीखय के संसाधनक के निर्माण करय के अनुमति देयत, आसानी सं ओकर माध्यम सं खोज करय आ ओकर उपयोग करय के, आ सामग्री के विविध प्रारूपक (जैना पाठ, वीडियो, आ बेसि) के उपयोग करय के अनुमति देयत। एहि प्लेटफॉर्म पर बाहरी संगठन या आन्दोलन मे नव सदस्य क लेल सीखबाक सामग्री सेहो शामिल होएत, जाहि स हुनका ऑनबोर्ड करबा लेल समय आ संसाधन क बचत होएत। प्लेटफॉर्म आ ओकर सामग्री आन्दोलन रणनीति सिद्धान्त के अनुरूप स्केल करय योग्य आ टिकाऊ होबाक चाही।
वर्तमान मे विकीलर्न नामक एकटा प्रयोगात्मक मंच अछि, जे एहि पहल सं बहुत नजदीक सं जुडल अछि।
नव या मौजूदा तकनीकी बुनियादी ढाँचा मे निवेश करू जे कार्यात्मक, सहयोगात्मक, वास्तविक समय उपकरण आ गुणवत्तापूर्ण सामग्री के माध्यम सं कौशल के सीखनाय के सुविधा प्रदान करयत छै। एकरा के लेल आवश्यक छै:
- शिक्षण संसाधनक (जैना ट्यूटोरियल, वीडियो, अनलाइन प्रशिक्षण, आदि) के मेजबानी करय के लेल एकटा उपयोगकर्ता-अनुकूल, खोजय योग्य, बहु-स्वरूप, क्यूरेट प्लेटफॉर्म।
- हमर अभ्यास आ... भूमिका।
- विकिमिडिया आन्दोलन रणनीति सिफारिस मे विचारित स्केलेबिलिटी, स्थायित्व आ अन्य क्षेत्रक सं सम्बन्धित मुद्दा के समझय के लेल आवश्यक सीखय के पैक।
भाग लिय

चर्चा
मेटा या आन्दोलन रणनीति फोरम कऽ "कौशल आ नेतृत्व विकास मे निवेश करू" स्पेस मे शामिल होउ अथवा कोनो चर्चा शुरू करू।
बनाउ
एकटा एहन परियोजना बनेबाक लेल आन्दोलन रणनीति कार्यान्वयन अनुदान लेल आवेदन करू जे एहि पहल कए आगू बढ़बैत अछि।
सहायता लिअ
यदि अहाँ के शामिल हुअ मे मदद के जरूरत छै, त कृपया आन्दोलन रणनीति आ शासन टीम के सदस्य सँ सीधा सम्पर्क करय मे संकोच नहि करू। ओ सब मदद करय लेल एतय छथि!
आप टीम कऽ १९ भाषा मे सऽ कोनो भी (टीम केरऽ पन्ना पर सूचीबद्ध) मे लिखी सकै छियै, ई ईमेल लिखी कर: strategy2030wikimedia
org
सम्बन्धित दस्तावेज आ चर्चासभ

आन्दोलन रणनीति सिफारिस के किछु पिछला चर्चा, पाठ आ पुरान संस्करण जे अइ पहल के आगू सन्दर्भ प्रदान कयर सकय छै: