आन्दोलन रणनीति/के बारे में
२०३० के रणनीति की अछि ?
आइ हम सब वेबसाइट आ प्रोजेक्ट के समूह स बेसी छी। हम मूल्य मे जड़ि जमा लेने आन्दोलन आ एकटा शक्तिशाली भिजन बनि गेल छी। आब हमरा सब के मौका अछि जे हम सब एतय स कतय जायब से तय करी। हम सब निर्णय क सकैत छी जे अपन विजन कए कोना साकार कैल जाए। आब १० साल मे हम सब की हासिल क लेब?
आब हम सब कतय छी?

अक्टूबर स॑ दिसेम्बर २०२० तलक विकिमिडिया समुदाय, सम्बद्ध आर अन्दोलन रणनीति समर्थन टीम न॑ सिफारिस क॑ प्राथमिकता दै लेली ५० घटनाक्रम के बारे म॑ आयोजन करलकै । ओकरऽ परिणामस्वरूप, साथ ही साथ ग्लोबल बातचीत घटना, आठ प्रमुख पहल आरू पहल समूह (कई पहलऽ के समूहीकरण) क॑ कार्यान्वयन लेली प्राथमिकता के रूप म॑ चुनलऽ गेलऽ छेलै । डिसेम्बर 2020 स फरवरी २०२१ के दौरान, शीर्ष आठ पहल समूहक, जेकर उपनाम क्लस्टर ए सं एच तइक राखल गेल छै, के आगू “अनुवर्ती घटनाक्रम” के श्रृंखला मे चर्चा कैल गेलय। अनुवर्ती चर्चा के परिणाम मेटा पर विस्तृत रिपोर्ट में प्रकाशित करलऽ गेलऽ छेलै । आब एकर क्रियान्वयन शुरू भ गेल अछि। वर्तमान स्थितिक जानकारी एतय भेटत।
रणनीति पर के काज क रहल अछि?
विकिमिडिया २०३० आन्दोलन रणनीति एक खुला आ सहभागी प्रक्रिया रहल अछि । विकिमिडिया फाउन्डेसन केरऽ कर्मचारी द्वारा समर्थित होय के साथ-साथ रणनीति आन्दोलन-व्यापी परामर्श आरू उच्च स्वयंसेवी भागीदारी केरऽ एक श्रृंखला प॑ आधारित रहलऽ छै । एकरऽ पहिलऽ चरण म॑ लगभग सौ समुदायऽ के १८०० स॑ भी अधिक बयान क॑ मिला क॑ रणनीतिक दिशा के निर्माण करलऽ गेलै । एकरऽ दोसरऽ चरण म॑ सौ स॑ भी अधिक स्वयंसेवक, विभिन्न समुदाय आर सम्बद्ध कम्पनी स॑ मिल क॑ सिफारिश आर सिद्धान्त के निर्माण करलकै, जेकरा म॑ व्यापक आन्दोलन प्रतिक्रिया स॑ जानकारी मिललै ।
प्रक्रिया के उद्देश्य हमर भविष्य के आकार देवय के लेल पूरा आन्दोलन मे आ बेसि खुलापन आ भागीदारी के छै, खासकर परियोजना समुदाय आ कम प्रतिनिधित्व वाला समूहक सं। २०२० के अन्त मे, विकिमिडिया के एक विविध समूह, ऑन-विकी संलग्नता आर मार्गदर्शन के साथ, ऑनलाइन संक्रमण घटना के रूपरेखा बनैलकै । बाद मे, विभिन्न पृष्ठभूमि के सैकड़ों विकिमिडियन ग्लोबल बातचितसभ मे शामिल होकर सिफारिस आर पहल के प्राथमिकता देलऽ गेलै ।